सिधे सामग्रीमे जाउ

सिधे दोसर तहके मेनुमे जाउ

यहोवाक साक्षीसभ

मैथिली

हमरसभके भविष्य केहन होयत?

हमरसभके भविष्य केहन होयत?

आहाँक बिचारमे कि कहबै?

  • अहिना रहतैय।

  • अहुसे खराब हेतैय।

  • कि निक हेतैय।

 पवित्र शास्त्र कि कहैछैय?

‘भगवान ओकरा सभक आखिंक सभ नोर पोछि देथिन। तकरबाद ने मृत्यु रहत, ने शोक, ने विलाप आ ने कष्ट, किएक तँ पहिलुका बात सभ समाप्त भऽ गेल अछि।’—प्रकाशित-वाक्य २१:३, ४, जीवन-सन्देश।

अकर बारेमे जान्नेस आहाँक लेल कि फाइदा होयत?

सोचलाहा मुताबिक काम होयत, जैसे खुशी मिलत।—यशायाह ६५:२१-२३.

रोग बीमार अर दु:ख तकलिफसे छुटकारा मिलत।—यशायाह २५:८; ३३:२४.

अप्पन परिवार अर सँगीसाथी सभ स हसिखुशी जीवन।—भजनसंग्रह ३७:११, २९.

 आहाँ हम पवित्र शास्त्रक बात पतियाब सकैछियै?

हँ त, ओकरलेल दुइगो बातमे ध्यान दियौ:

  • भगवान जे कहने छथिन ओ पूरा करै छथिन। यहोवा भगवान के संगमे बहुते शक्ति छैयन। पवित्र शास्त्र मे हुनका “सर्वशक्तिमान” कहने छथिन। (प्रकाशित-वाक्य १५:३) तै खातिर हम सभ कैह सकैछियै कि संसारके बढियाँ बनावेक लेल जे कहने छथिन ओ जरूर पूरा कर्थिन। ई बात पवित्र शास्त्र मे कहलखिन कि ‘यहोवा भगवानक लेल सभ कुछ सम्भव अछि।’—मत्ती १९:२६

  • भगवान अप्पन इच्छा पूरा करैल चाहैछथिन। मानलियौ कि, पवित्र शास्त्र ई कहै छथिन–यहोवा भगवान जे आदमीसभ मोइर गेलै ओकरा जिन्दा करैल यहोवा भगवान अप्पन दिलस चाहैछथिन।—अय्यूव १४:१४, १५.

पवित्र शास्त्रसे यहो मालूम है छथिन कि यहोवा भगवानके बेटा, येशु मसीह जे आदमीसभ बीमार रहै ओकरा ठीक करलखिन। ओ कथिला ओना करलखिन? किएकि ओ ओहीना चाहैछथिन। (मरकुस १:४०, ४१) येशु अप्पन बापेके जेखा जे आदमीसभ परेसानीमे परलाहा सभके मदत करैल चाहलखिन।—यूहन्ना १४:९.

तै खातिर हम आहाँ विश्वास राइख सकै छि कि यहोवा भगवान अर येशु दोनो हमसभक मदत करैल चाहैछथिन। ओइ खातिर हमसभक भविष्य एकदम बढियाँ हेतै कैहके चाहैछथिन।—भजन ७२:१२-१४; १४५:१६; २ पत्रुस ३:९.

 आहाँ ई बिषयमे सोचु त

भगवान संसारक केनाक बढियाँ बनायत?

मत्ती ६:९, १० अर दानिएल २:४४ मे पवित्र शास्त्र मे ई प्रश्नक जवाब देने छैय।