सिधे सामग्रीमे जाउ

सिधे दोसर तहके मेनुमे जाउ

यहोवाक साक्षीसभ

मैथिली

बाइबल केहन किताब छियै?

बाइबल केहन किताब छियै?

आहाँ कि कहब?

  • बिदेशीसभक किताब।

  • झुट फुससे भरल किताब।

  • भगवानक वचन।

 बाइबल कि कहैछै?

“सम्पूर्ण धर्मशास्त्र भगवानक प्रेरणाव्दारा रचल गेल अछि”। —२ तिमुथियुस ३:१६, जीवन-सन्देश।

अकर बारेमे बुझला स आहाँक लेल कि फाइदा होयत?

जीन्दगीस जुड्ल जरूरी प्रश्नसभक सहि जवाब मिलत। —नीति-वचन २:१-५

सभदिन जीवनक लेल बढियाँ सल्लाह। —भजनसंग्रह ११९:१०५

भविष्यक लेल सच्चा आशा। —रोमी १५:४

 कि बाइबलमे विश्वास कैर सकैछियै?

हँ त, ओकर लेल तीनगो बातमे ध्यान दियौः

  • एक दोसरमे मिलल। बाइबल लिखैक लेल १६०० बरष स भी बहुते समय लागल छलाह। ई लगभग ४० गो लोग लिखने छलखिन। ओ सभ मे एक दोसरक कहियो नै भेट्ल छलाह, तैहियो बाइबलक बातसभ एक दोसर मे मिलल अछि। सौसे बाइबल एगो मूल बिषयमे बात करै अछि।

  • इमान्दार लेखकसभ। संसारक बहुत लेखकसभ अक्सर अप्पन देशक हारक बिषयमे किछु नै कहैछै मुदा बाइबलक लेखकसभ अप्पन अर अप्पन आदमीसभक बिषय मे सभकुछ सच-सच लिखने अछि, यते तक कि ओ सभ अप्पन अर देशक लोगसभक हारक बिषयमे भी बताने अछि। —२ इतिहास ३६:१५, १६; भजनसंग्रह ५१:१-४

  • सच्चा भविष्यवाणी। बाइबलमे करिब २०० बरष पहिने बैबिलोन शहरक बिनाशक बारेमे भविष्यवाणी करने छलखिन। (यशायाह १३:१७-२२) ई मे यहो बताने छलाह कि केनाक बिनाश होयत कहिक अर ओहो आदमीक नाम भी बताने छलाह कि ओ जीत हासिल करत। —यशायाह ४५:१-३

बाइबल मे एहेन बहुते भविष्यवाणीसभ छै। ऊ भविष्यवाणीसभ मे बताएल छोट स भी छोट बात पूरा भेल अछि। भगवानक वचन स हमसभ याहा आशा करै छी। —२ पत्रुस १:२१

 आहाँ ई बिषयमे सोचुँ त

भगवानक वचन केनाक आहाँक जीन्दगी सुधाइर सकै अछि?

यशायाह ४८:१७, १८ अर २ तिमुथियुस ३:१६, १७ मे बाइबल ई प्रश्नक जवाब देने छैय।