सिधे सामग्रीमे जाउ

सिधे दोसर तहके मेनुमे जाउ

यहोवाक साक्षीसभ

मैथिली

परमेश्वरक राज्य कि छियै?

परमेश्वरक राज्य कि छियै?

आहाँ कि कहब?

  • खिसा।

  • स्वर्गक सरकार।

  • हम कुछो नै जानैछियै।

 पवित्र शास्त्र कि कहैछै?

“एगो एहेन राज्य खडा करत जे कहियो नै टुट्त।” —दानिएल २: ४४, द होली बाइबल हिंदी-ओ.वी.

“हमसभक एगो बेटा देने अछि, ओ प्रभुत्ता (यानी सरकार) हुनकर कांधमे होयत।” —यशायाह ९:६.

अकर बारेमे बुझला स आहाँक लेल कि फाइदा होयत?

  • ई एगो एहेन सरकार होयत कि जे न्याय अर हुकुम करत ओइस आहाँक फाइदा होयत। —यशायाह ४८:१७, १८.

  • आवै वाला नयाँ दुनियाँ मे आहाँक जीवन त्रुटिरहित आरो आनन्दमय सेहो होयत। —प्रकाशित-वाक्य २१:३, ४.

 आहाँ हम पवित्र शास्त्रक बात पतियाब सकैछियै?

हँ त, ओकर लेल दुइगो बातमे ध्यान दियौ:

  • परमेश्वरक राज्य कि-की करत ओकर एगो झलक येशु मसीह देखैलक। येशु मसीह अप्पन शिष्यसभक परमेश्वरक राज्य आबय अर हुनकर इच्छा पृथ्वीपर सेहो पुरा होयत कहिक प्रार्थना करैल सिखैलक। (मत्ती ६:९, १०) आरो ओ प्रार्थनाक जवाब केनाक देतै ओहो येशु मसीह देखैलक।

    पृथ्वीमे रहे बखत येशु मसीह भुखलाहासभक भोजन करैलक, बिमारसभक निक करलक अर मरलाहासभक फेर स जीन्दा करलक। (मत्ती १५:२९-३८; यूहन्ना ११:३८-४४) भविष्यमे येशु मसीह परमेश्वरक राज्यक राजा बनैबला छल। ओइ खातिर राज्यक जनताक लेल कि-की करत कहिक ओ मन छुबै वाला तरिका मे देखैलक। —प्रकाशित-वाक्य ११:१५.

  • दुनियाँमे भ रहल घट्ना बिचार करब त परमेश्वरक राज्य जल्दीए एतै कहिक पक्का भ सकैछियै। परमेश्वरक राज्य पृथ्वीमे शान्ति आबैस पहिने ई संसारमे लडाई, अकाल परत, भुकम्प होयत कहिक येशु मसीह भविष्यवाणी करने छलाह। —मत्ती २४:३, ७.

    संसारमे अखनी ओहिना भ रहल छै। तैखातिर हमसभ पूरा विश्वास कैर सकै छी कि ई सभ समस्या सभक परमेश्वरक राज्य आब जल्दीए सभ दु:ख तकलिफक अन्त करत।

 आहाँ ई बिषयमे सोचुँ त

परमेश्वरक राज्यमे हमरसभक जीवन केहन होयत?

भजनसंग्रह ३७:२९ अर यशायाह ६५:२१-२३ मे पवित्र शास्त्रमे ई प्रश्नक जवाब देने छैय।